Essay on feticide English/ Maithili भ्रूण हत्या पर निबंध मैथिली भाषा परीक्षा में 10 नंबर पक्का भ्रूण हत्या आजुक समाज मे कोढ़ जकाँ पसरि गेल अछि सीमित बाल बच्चाक कामना एवं बेटीक प्रति तिरस्कारक भाव एकर कारण मात्र अछि

WWW.NCERTNZ.IN

By WWW.NCERTNZ.IN

in

भ्रूण हत्या                                         English and Maithili
भ्रूण हत्या आजुक समाज मे कोढ़ जकाँ पसरि गेल अछि । सीमित बाल बच्चाक कामना एवं बेटीक प्रति तिरस्कारक भाव एकर कारण मात्र अछि । वर्तमान भौतिकवादी युगमे जतय लोकक लोलुपता धनक प्रति बढ़ल अछि । आ एक शार्ट-कट तरीका बेटाक विवाह होबल लागल। समाजक ध नीक वर्ग अपन बेटीक विदाईमे अकूत धन दान देबय लागल छल । एकर गम्भीर कुप्रभाव समाज पर पड़लैक । बादमे लोक एकरा अपन अधिकार बूझय लागल । आ आई भ्रूण हत्याक सभसँ प्रमुख कारण सभमे एक अछि ।
प्रश्न ਤਰੇਲ भ्रूण हत्या की थिक ? हत्या करबाक प्रयोजन किएक ? एकर उत्तर ताकब अत्यधिक जटिल एवं भयावह अछि। जखन कोनो गर्भस्थ शिशु के कोनो कारणे धरती पर आबय सँ पहिने मारि देल जाइत अछि तऽ ओकरा भ्रूण हत्या कहल जाइत अछि । एकर पहिल प्रमुख कारण अछि बेटीक प्रति लोकक वितृष्णा | बेटीक कारण लोकके अनेक प्रकारक सामाजिक प्रताड़ना सहन करए पड़ैत छैक । यथा ओकर शिक्षा-दीक्षामे गुण्डा मवाली आदि सँ कष्ट भोगय पड़ैत छैक आ लान्छन बेटी पर लगाओल जाइत छैक ।
भ्रूण हत्याक दोसर प्रमुख कारण होइछ असमय गर्भधारण । समाजमे अंगरेजी संस्कृतिक प्रचलनक कारणे लोकमे विवाह पूर्व शारीरिक संबंध बनएवाक प्रचलन तेजीसँ बढ़ि गेल छैक । एहि कारणे कएल गेल गर्भाधान अनैतिक होइत अछि एहन स्थितिमे ओहि बच्चाके गर्भहिमे नष्ट कए अपन प्रतिष्ठा बचाकए रखबाक प्रयास कएल जाइत अछि ।
भ्रूण हत्याक तेसर कारण कारणक रूपमे अनैच्छिक गर्भाधान सेहो अछि । कोनो व्यक्तिके एक बेटी छैक आ दोसर पुन: बेटी होइत छैक तऽ ओ ओकर भ्रूण परीक्षण कराय गर्भहिमे नष्ट कए दैत छैक ।
▲ एवं अनेक कारणे गर्भस्थ शिशु के नष्ट कए देल जाइत अछि । ओहूमे पुत्रीक भ्रूण हत्याक तऽ प्रचलन जेना भए गेल । परिणाम भेल जे समाजमे स्त्री-पुरुषक संतुलन खत्म भए गेल । अनेक प्रदेश एहन अछि जाहिठाम प्रति एक हजार व्यक्ति पर स्त्रीक संख्या सात-आठ सै भए गेल अछि । एहि भयावह स्थितिके देखैत वैधानिक रूपसँ अनेक डेग उठाओल गेल अछि। एहिमे पहिल अछि बेटीक समान अधिकार देब | आब बेटीकें पैतृक सम्पत्तिमे समान अधिकार भेटि गेल छैक । दोसर भ्रूण परीक्षण एवं भ्रूण हत्या कानूनी रूपसँ अवैध घोषित कए देल गेल आ एकर लेल दण्डक प्रावधान सेहो कएल गेल अछि ।
Fetal murder
 Feticide has spread like leprosy in today’s society. The desire for limited children and contempt for daughters are the only reasons. In the present materialistic age where people are greedy for money. And a short-cut way of getting married to his son seemed to happen. The wealthy sections of the society began to donate immense sums of money in the farewell of their daughters. This had a serious negative impact on society. Later people started to see it as their right. And today it is one of the leading causes of feticide.
 Q. What is foeticide? Why the purpose of murder? Finding the answer is extremely complex and daunting. When an unborn baby is killed before it comes to earth for any reason, it is called foeticide. The first major reason for this is people's disgust towards their daughters People have to endure many kinds of social persecution because of their daughters. For example, in her education, she suffers from thugs, mawali etc. and the blame is placed on her daughter.
 Another major cause of feticide is premature pregnancy. The prevalence of English culture in the society has led to a rapid increase in the prevalence of sexual intercourse before marriage. For this reason, abortion is immoral and in such a case, an attempt is made to destroy the child in the womb to preserve one's reputation.
 The third cause of feticide is involuntary conception as a cause. If a person has one daughter and another daughter again, he has her embryo tested and destroyed in the womb.
 ▲ And for many reasons, the fetus is destroyed. Even so, feticide of daughters seemed to become commonplace. As a result, the balance between men and women in society was lost. There are many states where the number of women per thousand persons has reached seven or eight hundred. Several steps have been taken legislatively in view of this dire situation. The first of these is to give equal rights to daughters Now daughters have equal rights to parental property. Second embryo testing and embryo killing were declared legally illegal and penalties have been provided for them.


You May Like These


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

About US

About US

I am Teacher. i have been Selected by Bihar BPSC. I prepare notices and important questions of NCERT and Bihar Board BSEB subjects and also keep giving information about GK GS. I will bring to you all the complete knowledge related to education And I prepare for you all the notices of all the classes and important questions and the most important questions asked in the exam and model type questions. Every day I bring a new question for you.

Read More
About US