1. निम्नलिखित मे निबंध लिखू : ( लगभग 250-300 शब्द मे)
सरस्वती पूजा
पूजा शुद्ध कऽ विद्या व्यवसाय याने पठन-पाठन काजमे जे लागल छथि ओ लोकनि विशेष कऽ श्रद्धापूर्वक जाहि संस्थामे पठन-पाठन करैत छथि ताहि संस्थामे धूम-धामसँ करैत छथि ।
माघ मासक शुक्लपक्षक पञ्चमी तिथिके कैल जाइत अछि । एहि पंचमीकै श्रीपञ्चमीक नामसँ सेहो सम्बोधित कैल जाइत अछि । एहि तिथि कऽ छात्र लोकनि जाहि स्कूल वा कालेजमे पड़ैत छथि ताहिमे अथवा छात्रावासमे जगद्धात्री विद्यादायिनी श्री सरस्वती माताक मृतिकाक प्रतिमा आनि श्रद्धापूर्वक पवित्र जगह पर ठाँव कऽ बैसबैत छथि । पुनः पण्डितकेँ बजा हुनका द्वारा कहल गेल नियामानुकुल पूजा करैत छथि ।
एहि तिथि कऽ पूजाकर्ता प्रातः काल नित्यकर्मसँ निवृत भेलाके बाद पूजास्थान पर आसन लए बैसैत छथि । तखन सूद्धि मन्त्रक पाठ कऽ पूजाक सामग्री तथ अन्तःकरण शुद्ध कऽ पण्डितजी द्वारा निर्देशित विधिसँ ध्यान पूजा आ आरती करैत छथि । सब छात्र लोकनि मन्त्रक पाठ कऽ श्रद्धापूर्वक पुष्पाञ्जलि दैत छथि । तखन प्रसाद वितरण कएल जाइत अछि । प्रसादमे सामयिक फल बैर आ केशौरक प्रधानता रहैत अछि ।
प्रसाद वितरणक बाद छात्र लोकनि दिन भरि गीत - नादक संग-संग कीर्तन भजन करैत छथि । सन्ध्या समयमे पुनः आरती कएल जाइत अछि । तदुपरान्त रात्रि जागरणक लेल नाटक वा नाच-गानक व्यवस्था चलैत रहैत अछि ।
प्रातः काल पुनः पूजा अर्चना कऽ पञ्चमी बितला पर षष्ठीमे हिनकर प्रतिमा विसर्जन कऽ देल जाइत अछि । तहन शंखनाद बजबैत हिनका प्रतिमाक उठा भ्रमण करैत धार आ कि पोखरिमे प्रवाह कए देल जाइत अछि । छात्रक लेल एहि सँ बढ़ि कोनो पर्व नहि मानल जाइत अछि । पूर्वमे ई पूजा मात्र शिक्षण संस्थनमे होइत छल । लेकिन आइ-काल्हि सर्वत्र जेना छात्रावास, पुस्तकालयक संग आब तँ दरबज्जे याने घरे घर पूजा होमय लागल अछि ।
आइकाल्हि एहि नाम पर बहुत ठाम शान्तियो भंग भए जाएत अछि । अराजक तत्व बलजोरी एहि नाम पर चन्दा एकत्र करैत छथि आ चन्दाक पाइसँ अइयाशी करैत छथि ।
अगर एहि स्थिति पर ध्यान नहि देल जाएत त भविष्यमे एहन जे महान् पूजा ताहिसँ लोक विमुख होमए लागत ।
1. Write an essay in the following: (in about 250-300 words)
Saraswati Puja
Those who are engaged in the business of learning, that is, teaching, after purifying the worship, perform it with great pomp, especially in the institution in which they teach with devotion.
It is celebrated on the fifth day of the Shukla Paksha in the month of Magh. This Panchami is also referred to as Sri Panchami. On this date, students bring the dead idol of Jagaddhatri Vidyadayini Sri Saraswati Mata to the school or college in which they attend or in the hostel and place it in a holy place with devotion. Again they call the Pandit and perform the pooja according to the rules prescribed by him.
On this date, the worshipers take a seat at the place of worship after resting from their daily activities in the morning. Then, after reciting the Suddhi Mantra, they purify the worship materials and the consciousness and perform meditation, worship and Aarti in the manner prescribed by the Pandit. All the students recite the mantra and offer flowers with devotion. Prasad is then distributed. The offerings are dominated by seasonal fruits like bair and saffron.
After the distribution of offerings, the students perform songs and dances as well as kirtans and bhajans throughout the day. Aarti is performed again in the evening. After that, drama or dance and singing continues for the night vigil.
In the morning, after worship again, the idol is immersed on the sixth day after the fifth day. Then, with the sound of the trumpet, the statue is lifted and flowed into the circulating river or pond. There is no better festival for students. In the past, this worship was only performed in educational institutions. But nowadays, everywhere like hostels, libraries and now worship is being done at the doorstep.
Nowadays, peace is disturbed in many places in this name. Chaotic elements forcibly collect donations in this name and commit adultery with the donation money.
If this situation is not addressed, people will start turning away from such great worship in the future.
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें