मैथिली,,व्याकरण से महत्वपूर्ण चैप्टर कारक ,,,,, Maithili se chapter Karak ,,Board Model Question Answer

WWW.NCERTNZ.IN

By WWW.NCERTNZ.IN

in

                            कारक
क्रियाक उत्पादक थिक कारक। अर्थात् क्रियाक संग संज्ञा वा सर्वनामक सम्बंधक कारक कहल जाइत अछि।
कारक आठ प्रकारक होइत अछि-कर्ता, कर्म, करण, सम्प्रदान, अपादान, सम्बन्ध, अधिकरण ओ सम्बोधन।
1. कर्ता-जे संज्ञा वा सर्वनाम क्रिया कएनिहार, काज कएनिहार रहैत अछि से कर्त्ता कारक कहल जाइत अछि। जेना राम पद्वैत छथि। ओ चलि रहल छथि। एहि ठाम 'राम' पढ़बाक काज करैत छथि ते कत्ता कारक थिकाह। 'ओ' चित (सर्वनाम) चलि रहल छथि तँ कर्ता कारक थिकाह। नास,
2. कर्म-जकरा पर काजक फल पडैत अछि से कर्म कारक थिक। जेना-राम पुस्तक लिखैत छथि, एहि वाक्यमे 'लिखब' क्रियाक फल पुस्तक पर पडैत अछि ते 'पुस्तक' कर्म कारक थिक।
3. करण-जकरा द्वारा वा जकर सहायतासँ कर्ता कोनो काज करैत छ अछि से 'करण' कारक थिक। जेना-राम पेन्सिलसँ चित्र लिखैत छथि, एहि वाक्यमे राम (कर्ता) पेन्सिलक द्वारा वा पेन्सिलक सहायतासँ चित्र लिखबाक
काज करैत छथि ते 'पेन्सिल' करण कारक थिक।
4. सम्प्रदान-जकरा हेतु काज कएल जाए से 'सम्प्रदान कारक' थिक, जेना-राम अपन पत्नीक हेतु वस्त्र किनैत छथि, एहि वाक्यमे वस्त्र किनबाक फल पत्नीक हेतु अछि तँ 'पत्नी' सम्प्रदान कारक थिक।
5. अपादान-जकरासँ कोनो वस्तु पृथक होअए से अपादान कारक थिक। जेना-'गाछसँ आम टुटिक खसल'-एहि वाक्यमे आमक फल गाछसँ पृथक् भेल अछि तँ 'गाछ' अपादान कारक भेल।
6. सम्बन्ध-जकरासँ कोनो वस्तुक सम्बन्ध होइक से सम्बन्ध कारक थिक। जेना-'रामक गाए चरि रहल अछि'-एहि वाक्यमे 'गाए 'क सम्बंध रामक संग अछि तँ 'राम' सम्बंध कारक भेलाह।
7. अधिकरण-जाहि आधार पर वा जाहि समयमे काज होअए से अधि करण कारक थिक। जेना-रातिमे चन्द्रमा उगैत अछि। धरती पर हम सब ठाढ़ छी। एहिमे पहिल वाक्यमे राति (समय) तथा दोसर वाक्यमे धरती (आधार)
अधिकरण थिक।
8. सम्बोधन-सम्बंधित व्यक्तिक ध्यान आकर्षित हेतु जखन किछु कहल जाइत अछि तखन ओहि वाक्यमे ओहि सम्बंधित व्यक्तिक 'सम्बोधन कारक' कहल जाइछ। जेना- हे राम, हमर रक्षा करू। एहि वाक्यमे राम सम्बोधन कारक थिकाह।
             Md. Nezamuddin sir


You May Like These


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

About US

About US

I am Teacher. i have been Selected by Bihar BPSC. I prepare notices and important questions of NCERT and Bihar Board BSEB subjects and also keep giving information about GK GS. I will bring to you all the complete knowledge related to education And I prepare for you all the notices of all the classes and important questions and the most important questions asked in the exam and model type questions. Every day I bring a new question for you.

Read More
About US